रोमिशा की दो मैथिली कविताएं

प्रभात खबर के दीपावली विशेषांक में रोमिशा ने मैथिली में दो कविताएं लिखीं हैं. दोनों कविताएं स्त्रियों पर आधारित हैं. पहली आंचलिक कविता का शीर्षक है- माय और दूसरी का- एना त' नहि होएबाक चाही. आप भी पढ़ें...
प्रभात खबर के दीपावली विशेषांक में रोमिशा ने मैथिली में दो कविताएं लिखीं हैं. दोनों कविताएं स्त्रियों पर आधारित हैं. पहली आंचलिक कविता का शीर्षक है- माय और दूसरी का- एना त’ नहि होएबाक चाही.
सभ्यता कें नाँघि
अप्पन ऊपर गंहीर होइत
निराशा आ बाँझपनक
मिथ्या आरोपक प्रतिरोधमे
जखन कोनो कोमलांगि
मात्र पत्नी नहि रहि
अपन गर्भ कें
शाश्वत प्रेमक गह्वर बना
पूजित होमए देब’ चाहैत अछि
अप्पन जीवन मे ममता कें
तखने एहेन पवित्र समय मे
कठपुतरी जकाँ ओकरा नचैत नहि देख
तथाकथित सभ्य समाजक
एकटा नपुंसक पति कें
होइत अछि मंशा
बहुत किछु करबाक
जे कि अपवित्र अछि
ओ अप्पन मनक
सुनगैत लाक्षागृह मे
भस्म क’ देब’ चाहैत अछि
अग्निक सोझां सप्तपदी ल’
पत्नी बनल स्त्रीक अस्तित्व कें
जखन कि गाएल जाइत रहैत अछि
बच्चा जच्चाक लेल सोहरि
आ बांटल जा रहल होइछ मधुर
जखन कि ओहि घर सँ
आबि रहल होइछ
गेल्ह सभक चाँय चाँय के अवाज
जखन कि बिहुँसैत अछि
पाथड़ पर उगि आयल फूल
आ नेनाक मुंह देखितहि
निकसि पड़ैत अछि
मायक आँखि से सुखक झरना
जाहि सँ भ’ जाइत अछि
दू कुलक व्याकुल चिंता शांत
ठीक ओहि पल ओहि क्षण
ओहि नेनाक तथाकथित पिता
चाहैत अछि खोआ दिय’
कोनो बिखाह लड्डू
सोहर मे हँसैत अप्पन पत्नी कें
जाहि सँ जीवित रहए
पूरा मर्दानगीक संग
ओ एकटा पिता बनि
मुदा ओहि क्षण
नवजात नेना कें
अप्पन कोरा मे लैते
ओ स्त्री बनि जाइत अछि
कहियो नहि हारय बाली शक्ति
‘माय’.
देखैत अछि ओ जखन
अपन खिड़की सँ बाहर
छितरायल इजोरिया आ
पूरबाक सिहकी मे
जुआन होइत रातुक
तरेगन सँ भरल
लहराइत आँचर
त’ डसय लगैत छै ओकरा
अजोध साँप बनि
धप्प – धप्प छिटकैत
इजोरियाक रहस्यमय दाँत
कतहु कोनो ओछाइन पर
करौट फेरैत ओकर एकांत मे
इच्छा सँ भरल ओकर हृदय
फाटि जाइत अछि
तीरा-मीराक जुआयल फर सन
चन्द्रमाक अहर्निश इजोतक आलोक मे
आ अकस्मात बहरा जाइत छै
सृजनक अद्भुत संभावना
मुदा संभावना रहितहु
परिस्थितिक समक्ष छटपटाइत
घोषित होइत छथि ओ बाँझ
जुआन होइत राति मे
जुग-जुग सं अभिशप्त
ओहेन स्त्रीक नस नस मे
भोंकाइत अछि
मैथिल संस्कृति आ
संस्कारक भालाक नोक
ओहेन स्त्रीक नोर
बहैत अछि दहाबोह
नोरक उमड़ल धार मे
स्वयं ओ जरबैत अछि
दीप -शिखा अपन पुण्यक
जरा केँ अपन संपूर्ण जीवन
नहि जानि केकरा लेल
नहि जानि किएक
निसबध राति मे गबैत अछि
ओ स्त्री सभ एहेन लोरी
जेकर प्रेममे डूबल बोल
पघिलल शीशा जकाँ
पड़ैत अछि ओकरहि कान मे
आ बियाहल कुमारि बनल ओ
नदीक लहरि सन बहैत, बढ़ैत
उघि लैत अछि परंपराक नाह
कुलीन पुतहु आ बेटी बनल
जखन की नहि बनैत अछि
ओकर शरीर केकरो पत्नी
आ नहि जुराइत अछि आत्मा माय बनि.
रोमिशा, संपर्क : लोटस, सेक्टर-168, टावर-4, फ्लैट नंबर-1705, नोएडा-201305, उत्तर प्रदेश, मो. – 9810882109
प्रभात खबर डिजिटल टॉप स्टोरी
लेखक के बारे में
By Mithilesh Jha
मिथिलेश झा PrabhatKhabar.com में पश्चिम बंगाल राज्य प्रमुख (State Head) के रूप में कार्यरत वरिष्ठ पत्रकार हैं. उन्हें पत्रकारिता के क्षेत्र में 32 वर्षों से अधिक का व्यापक अनुभव है. उनकी रिपोर्टिंग राजनीति, सामाजिक मुद्दों, जलवायु परिवर्तन, नवीकरणीय ऊर्जा, कृषि और अन्य समसामयिक विषयों पर केंद्रित रही है, जिससे वे क्षेत्रीय पत्रकारिता में एक विश्वसनीय और प्रामाणिक पत्रकार के रूप में स्थापित हुए हैं. अनुभव : पश्चिम बंगाल, झारखंड और बिहार में 3 दशक से अधिक काम करने का अनुभव है. वर्तमान भूमिका : प्रभात खबर डिजिटल (prabhatkhabar.com) में पश्चिम बंगाल के स्टेट हेड की भूमिका में हैं. वे डिजिटल न्यूज कवर करते हैं. तथ्यात्मक और जनहित से जुड़ी पत्रकारिता को प्राथमिकता देते हैं. वर्तमान में बंगाल विधानसभा चुनाव 2026 पर पूरी तरह से फोकस्ड हैं. भौगोलिक विशेषज्ञता : उनकी रिपोर्टिंग का मुख्य फोकस पश्चिम बंगाल रहा है, साथ ही उन्होंने झारखंड और छत्तीसगढ़ की भी लंबे समय तक ग्राउंड-लेवल रिपोर्टिंग की है, जो उनकी क्षेत्रीय समझ और अनुभव को दर्शाता है. मुख्य विशेषज्ञता (Core Beats) : उनकी पत्रकारिता निम्नलिखित महत्वपूर्ण और संवेदनशील क्षेत्रों में गहरी विशेषज्ञता को दर्शाती है :- राज्य राजनीति और शासन : झारखंड और पश्चिम बंगाल की राज्य की राजनीति, सरकारी नीतियों, प्रशासनिक निर्णयों और राजनीतिक घटनाक्रमों पर निरंतर और विश्लेषणात्मक कवरेज. सामाजिक मुद्दे : आम जनता से जुड़े सामाजिक मुद्दों, जनकल्याण और जमीनी समस्याओं पर केंद्रित रिपोर्टिंग. जलवायु परिवर्तन और नवीकरणीय ऊर्जा : पर्यावरणीय चुनौतियों, जलवायु परिवर्तन के प्रभाव और रिन्यूएबल एनर्जी पहलों पर डेटा आधारित और फील्ड रिपोर्टिंग. डाटा स्टोरीज और ग्राउंड रिपोर्टिंग : डेटा आधारित खबरें और जमीनी रिपोर्टिंग उनकी पत्रकारिता की पहचान रही है. विश्वसनीयता का आधार (Credibility Signal) : तीन दशकों से अधिक की निरंतर रिपोर्टिंग, विशेष और दीर्घकालिक कवरेज का अनुभव तथा तथ्यपरक पत्रकारिता के प्रति प्रतिबद्धता ने मिथिलेश झा को पश्चिम बंगाल और पूर्वी भारत के लिए एक भरोसेमंद और प्रामाणिक पत्रकार के रूप में स्थापित किया है.
Prabhat Khabar App :
देश, एजुकेशन, मनोरंजन, बिजनेस अपडेट, धर्म, क्रिकेट, राशिफल की ताजा खबरें पढ़ें यहां. रोजाना की ब्रेकिंग हिंदी न्यूज और लाइव न्यूज कवरेज के लिए डाउनलोड करिए




