ePaper

पल्लवी झा की मैथिली कविताएं

Updated at : 26 Nov 2023 7:11 PM (IST)
विज्ञापन
पल्लवी झा की मैथिली कविताएं

प्रभात खबर दीपावली विशेषांक में मधुबनी की पल्लवी झा की दो सारगर्भित कविताएं प्रकाशित हुईं हैं. उनकी कविता को आप यहां भी पढ़ सकते हैं.

विज्ञापन

प्रभात खबर दीपावली विशेषांक में मधुबनी की पल्लवी झा की दो सारगर्भित कविताएं प्रकाशित हुईं हैं. उनकी कविता को आप यहां भी पढ़ सकते हैं.

जयबाक दूटा रस्ता…

कोनो आन परिवार सँ

लड़की अयबाक दूटा रस्ता छै

पहिल तँ आँगनक मुँहथरिक बाटे

तँ दोसर छहरदेवाली फाँनि क’ !

मुँहथरि बाटे आयलि लड़की

जे आब स्त्री होब’ गेलि रहैत अछि,

रस्ताक बीच द’ क’

दुआरि पर चाउर भरल लोटा कें

गुड़कबैत अबैत अछि, धीरे-धीरे…

जमीन पर खसल

ओहि चाउरक दानाक हिसाब

कहियो क्यो नहि लगा पओलक

मुदा ओ स्त्री

छिड़ियायल दाना सभकें

कतेक जिम्मेदारी सँ

माथ पर उठा लैत अछि

आ कहैत अछि, कि

ई घर हमर अछि, हमर प्रेमक अछि !

कि तखनहि विधाता जेना

मुस्कुराइत बजैत छथिन– तथास्तु !

छहरदेवाली नाँघि

आयलि लड़की सेहो

ठोकर मारि अबैत अछि

अपन पिताक प्रेम कें, माँक आँचर कें…

छहरदेवाली फानि

गाछक सहारे उतरलि

लड़की सँ स्त्री बनलि

ओकर पयर सँ

आँगनमे लागल ठोकर पर

माटि जेना कुहरैत बजैत अछि

कि ई हमरे सँ जनमल गाछ

सुखा किएक नहि जाइत अछि !

हम जनैत छी,

कोनो लड़की लेल छहरदेवाली फाँनब

पैघ बात नहि होयत,

मुदा हमर मानी, तँ

आहां जाएब ककरो घर

मुँहथरिपर राखल लोटा गुड़काइये क’ …

नहिं मारब ठोकर आहां

अपन पिताक प्रेम कें, माँक आँचर कें !

Also Read: रोमिशा की दो मैथिली कविताएं
ई अन्हार राति

हमर एहि प्रतीक्षाक

गवाह अछि ई अन्हार राति

हमर कनैत आँखिकें

देखलक अछि ई अन्हार राति

निन्ने मातल आँखि

मुदा कहाँ सूत’ दैत अछि

ई हमर अनंत यात्राक राति

अपन आँखि सँ

ई मात्र सपना देखलक

हमरा लेल अन्हार रातुक

आ फेर सँ अपन सत्यक

दर्शन करा देलक अनचोके…

पल्लवी झा, संपर्क : ग्राम+पोस्ट- भवानीपुर, जिला-मधुबनी, पिन- 847234, बिहार, मो. 8252663071

विज्ञापन
Mithilesh Jha

लेखक के बारे में

By Mithilesh Jha

मिथिलेश झा PrabhatKhabar.com में पश्चिम बंगाल राज्य प्रमुख (State Head) के रूप में कार्यरत वरिष्ठ पत्रकार हैं. उन्हें पत्रकारिता के क्षेत्र में 32 वर्षों से अधिक का व्यापक अनुभव है. उनकी रिपोर्टिंग राजनीति, सामाजिक मुद्दों, जलवायु परिवर्तन, नवीकरणीय ऊर्जा, कृषि और अन्य समसामयिक विषयों पर केंद्रित रही है, जिससे वे क्षेत्रीय पत्रकारिता में एक विश्वसनीय और प्रामाणिक पत्रकार के रूप में स्थापित हुए हैं. अनुभव : पश्चिम बंगाल, झारखंड और बिहार में 3 दशक से अधिक काम करने का अनुभव है. वर्तमान भूमिका : प्रभात खबर डिजिटल (prabhatkhabar.com) में पश्चिम बंगाल के स्टेट हेड की भूमिका में हैं. वे डिजिटल न्यूज कवर करते हैं. तथ्यात्मक और जनहित से जुड़ी पत्रकारिता को प्राथमिकता देते हैं. वर्तमान में बंगाल विधानसभा चुनाव 2026 पर पूरी तरह से फोकस्ड हैं. भौगोलिक विशेषज्ञता : उनकी रिपोर्टिंग का मुख्य फोकस पश्चिम बंगाल रहा है, साथ ही उन्होंने झारखंड और छत्तीसगढ़ की भी लंबे समय तक ग्राउंड-लेवल रिपोर्टिंग की है, जो उनकी क्षेत्रीय समझ और अनुभव को दर्शाता है. मुख्य विशेषज्ञता (Core Beats) : उनकी पत्रकारिता निम्नलिखित महत्वपूर्ण और संवेदनशील क्षेत्रों में गहरी विशेषज्ञता को दर्शाती है :- राज्य राजनीति और शासन : झारखंड और पश्चिम बंगाल की राज्य की राजनीति, सरकारी नीतियों, प्रशासनिक निर्णयों और राजनीतिक घटनाक्रमों पर निरंतर और विश्लेषणात्मक कवरेज. सामाजिक मुद्दे : आम जनता से जुड़े सामाजिक मुद्दों, जनकल्याण और जमीनी समस्याओं पर केंद्रित रिपोर्टिंग. जलवायु परिवर्तन और नवीकरणीय ऊर्जा : पर्यावरणीय चुनौतियों, जलवायु परिवर्तन के प्रभाव और रिन्यूएबल एनर्जी पहलों पर डेटा आधारित और फील्ड रिपोर्टिंग. डाटा स्टोरीज और ग्राउंड रिपोर्टिंग : डेटा आधारित खबरें और जमीनी रिपोर्टिंग उनकी पत्रकारिता की पहचान रही है. विश्वसनीयता का आधार (Credibility Signal) : तीन दशकों से अधिक की निरंतर रिपोर्टिंग, विशेष और दीर्घकालिक कवरेज का अनुभव तथा तथ्यपरक पत्रकारिता के प्रति प्रतिबद्धता ने मिथिलेश झा को पश्चिम बंगाल और पूर्वी भारत के लिए एक भरोसेमंद और प्रामाणिक पत्रकार के रूप में स्थापित किया है.

Prabhat Khabar App :

देश, एजुकेशन, मनोरंजन, बिजनेस अपडेट, धर्म, क्रिकेट, राशिफल की ताजा खबरें पढ़ें यहां. रोजाना की ब्रेकिंग हिंदी न्यूज और लाइव न्यूज कवरेज के लिए डाउनलोड करिए

Download from Google PlayDownload from App Store
विज्ञापन
Sponsored Linksby Taboola